मंगलवार, 27 सितंबर 2016

598 . गोसाउनि


                                        ५९८ 
                                    गोसाउनि 
जय जय निर्गुण - सगुण तनु धारिणि ! गगण - विहारिणि मा हे। 
कत - कत विधि हरिहर सुरपति गण सिरजि तोहें खाहे।।
निगुण कहव कत सगुण सुनिअ जत ततमत कए रहु वेदे। 
थाकि थाकि बैसल छथि झखइत , नहि पाबथि परिछेदे।।
तोहरहि सं सभ तन , तोहरहि सं तन्त्र मन्त्र कत लाखे। 
केओ नारि तन , केओ पुरुष तन अपन अपन कए भाखे।।
सुदृढ़ भक्ति रसवश तुअ अनुपम ई बूझिअ परमाने। 
भुक्ति मुक्ति वर दिअऔ गोसांउनि ! कवि वागीश्वर भाने। 
( मैथिल भक्त प्रकाश ) बागीश्वर 

कोई टिप्पणी नहीं: